करीब चारि करोड़ वर्ष पहिने हिमालयक उत्पत्तिक क्रममे नदीजन्य पदार्थसभ जमा भऽकऽ बनल सभसँ नवका पहाड़ चुरिया पर्वत शृङ्खला छियैक। पच्छिममे पाकिस्तानक इण्डस नदीसँ लऽ पूरबमे भारतक ब्रह्मपुत्र नदीधरि पसरल चुरिया शृङ्खला शिवालिक नामसँ सेहो जानल जाइत अछि। नेपालमे पूरब इलामसँ पच्छिम कञ्चनपुरधरि ३६ टा जिलामे रहल चुरियाक क्षेत्रफल देशक कुल भूभागक १२.७८ प्रतिशत अछि। अधिकांश स्थानपर समतल मैदानी भूभाग समाप्त भऽकऽ उपर उठल भूभाग तथा महाभारत पहाड़ क्षेत्रसँ खहरैत काल भेटऽ वला अन्तिम पहाड़क रूपमे चुरिया अवस्थित अछि। ई पहाड़ कमजोर पत्रदार चट्टानसँ बनल छैक। महाभारत पर्वत-शृङ्खलासँ बहऽ वला नदीसभ अही चुरिया क्षेत्र भऽकऽ तराइदिस बहैत अछि। तेँ प्राकृतिक रूपसँ ई क्षेत्र अत्यन्त संवेदनशील छैक।
